मैथिली गीत


मैथिली गीत


अतेक सहेज क रखने छलऊँ, बचपन स जिंदगानी यो |
आब बुझाई अछि बीती जायेत, प्रभुजी हमर जवानी यो |
अतेक सहेज क...................
 
धन दौलत स निर्धन अछि, निर्धनता बनल कहानी यो |
आब बुझाई अछि बीती जायेत, प्रभुजी हमर जवानी यो |
अतेक सहेज क...................
 
माताजी बड़ चिन्तित छथि, बाबूजी मजबूरि भेलनि |
भाईजी के सिर पर बैसल, दुनिया के दस्तूर भेलनि |
सबहक इहे समस्या अछि, कन्या भेलनि सयानी यो |
आब बुझाई अछि बीती जायेत, प्रभुजी हमर जवानी यो |
अतेक सहेज क...................
 
करब कोना विवाह कन्या के, निर्धन छथि जे बाबूजी |
घर पर खर नई छईन जिनको, माँग हुनक बेकाबू जी |
किछु पढ़ल छथि बालक तैं, पिता भेलाह अभिमानी यो |
आब बुझाई अछि बीती जायेत, प्रभुजी हमर जवानी यो |
अतेक सहेज क...................


एक टिप्पणी भेजें

1 टिप्पणियाँ
* Please Don't Spam Here. All the Comments are Reviewed by Admin.

Do leave your comment.